मुख्यपृष्ठस्तंभमैथिली व्यंग्य : दतमनी

मैथिली व्यंग्य : दतमनी

डॉ. ममता शशि झा मुंबई

सुरेश के जहन अपन गाम में बितायल समय मोन पड़ैत छैन तऽ भोरका उखराहा में दतमनि बांटय के बात मन पड़ि गेलैन।
अहूं सबहक परिवार में जरूर कियो ने कियो अपने मुने इ जिम्मेदारी लेने हेताऽ। भोरे उठि निमक या बांसक करचि के दतमनि बढ़िया जंका छिल, आधा हिस्सा चीर क जीबिया कर लेल देने हेता, आ पोखरिक भीड़ पर कुच्ची फेक लेल बातो सुनने होयब।
तदुपरांत टी.वी. आयल और अपना संगे बहुत सारा विज्ञापन और ओहि के माध्यम से परिवर्तन सेहो लेने आयल। ओहि में सऽ एकटा अछी दंतक्रांति। विज्ञापन में जहन मंजन के प्रचार लोक देखलक त ओकर प्रयोग करऽ लागल, दतमनी में बोरी बोरी के। फेर नया विज्ञापन जाहि में ब्रश पर टूथपेस्ट लगा नायक, नायिका अपन मोहिनि मुस्कि स एक दोसर के प्रशंसा करैत देखायल गेल, ओकर धूम मची गेल। के दतमनि चिबाबे, रगड़े काटि के लाबे। ब्रश में पेस्ट लगाऊ झटाझट दांत साफ। तकर बाद त अलग-अलग तरह के टूथपेस्ट आ ब्रश के भरमार लागी गेल। सब सुपर, अल्ट्रा सुपर स्पेस एज के चक्कर में फंसि गेल।
मुदा फेर एक दिन चमत्कार भ गेल। लोक सब देखलक जे वैज्ञानिक सब ई बात सिद्ध क देलखिन जे नीम के दतमनि स बढ़ी क आर कोनो चीज नहीं अछि दांत साफ कर के लेल, ओकर प्राकृतिक गुण कोनो टूथपेस्ट में नहीं आबि सवैâया, संगही दतमनी चिबेला स दांत मजबूत और जर्म प्रâी भे जाईत अछी। लोक सब भागल-भागल नीमक गाछ लग पड़ेलथि, मुदा नीम के गाछ से दतमनि मुफ्त में तोड़ के अधिकार ककरो नहीं छल। ओकर राइट्स प्राइवेट कंपनि के लग छलई।
सुपर बाजार में नीम के दतमनि खूब नीक जकां पैक के क बिका रहल छलई, ऑर्गेनिक ब्रश के नाम पर, सबटा टूथपेस्ट स महंगा, सुरेश किन कय अनलैथ, मुदा दतमनि करऽ जोगर आब हुनकर दांत नै रहि गेल छलैन।

अन्य समाचार