मुख्यपृष्ठस्तंभमैथिली व्यंग्य: भूतक सहारा!

मैथिली व्यंग्य: भूतक सहारा!

डॉ. ममता शशि झा / मुंबई

लाल काकी घरमे उपनयनक धूम मचल छलनि। लोकक संख्या बढ़ला सं सबके नहायके आ कपड़ा सुखाबके परेशानी भेलापर बेटी-डॉटि सब सोचलक जे छोटकी काकीके आंगनमे चलि जाय छी। बंटवारा भेलाके बाद छोटकी काकी पुरने आंगनामे रहि गेल छलखिन। सबहक नेनपन स ले के बियाह काल धरिके समय ओहि आंगनमे बितल छलई ताहि लेल ओहि अंगना स स्नेहो छलनि। आ बिशेस क किछु हिस्सा जाहिमे कोनो तरहक बदलाव नहीं भेल छलई ओहि सेसबहक मोन जुड़ल छलनि। छोटकी काकी बड़ स्वागत केलखिन। सबस गप्प केला पर बुझि गेलखिन जे ई सब सब दिन एतहि आयत। जा धरि पुतहू नहीं आयल छलनि ता धरि लोकक एनाई बड़ नीक लगई छलनि, मुदा आब लोक घरक बात सब नहीं बुझि जाय या क्यो पुतहू के किछु सिखा नहीं दिया, ताहि दुआरे क्यो हुनका आंगन एतनि ओहि सं पहिने ओ अपने आंगन से निकलि क काज बला घरमे ई बुझितो जे ने काज-तिहारमे अपने घरबैया कोनो काज करई छई आ ने पहिने जकां अगल -बगल बला सब! ताईयो जा के लाबथु ने बहिन या कनिया की के दिय कहि क ओहि अंगनामे बैसि जाय छलनि आ सबटा गतिविधी सब देखई छलखिन। अपना ओत कहबि नई छई ‘आगिक लाथे भोजघारा जाई’ तकरा चरितार्थ कर लेल। सबके चाहे पियाब काल भूत-प्रेत के चर्चा कर लगलखिन। कोना सबहक नहीं रहला पर दिने देखारे कोन्टा सब लग ककरो ने ककरो देखईत रहई छथिन से सब कहलखिन। कनी-मनी डर ते सबके भेलई, मुदा सबहक संगे रहला पर कोन डरक बात, से सोचि के सब नहा के कपड़ा पसारे लेल छोडि के अपन आंगन गेलथि। लाल काकी घरमे काज कर बाली नौरिन छोटकी काकी के घरमे सेहो काज करई छलनि। ओकरा सबके छोटकी काकी के कहलाहा गप्पक चर्चा करईत सुनि क आरो रहि में सहि करईत रंग-बिरंगक खिस्सा सब सुना देलकनि जे कोना ओकरा पुतहू के जे एक बेर‌ हुनका आंगन में कपड़ा धोब लेल गेल रहई, हुनकर बड़का भाई जे एतहि रहई छलखिन आ स्वर्ग चलि गेलखिन, ओकरा धे लेलखिन। छोटकी काकी के आंगन स ओकर सबहक कपड़ा पसार लेल गेल रहे ते काकी ओकरा बुझा देने रहथिन, जे रोज-रोज के अपन नींद खराब करत‌। आ ओहु स बेसी सबहक मुंहे अपन पुतहू के प्रशंसा नहीं सोहाई छलनि। नौरिन जहन देखलकई जे ओकर बातक असर भे रहल छई ते आगू बाजल‌ ‘हुनका पछबारि में ते दिने देखारे सब घुमति रहई छनि!’ सब अबाक भे के एक दोसरा के देख लागल। दोसर दिन क्यो नहिं आयल ओहि आंगनमे, पुतहू बुझि गेलि जे जिबति मनुक्ख, मुईल स परास्त भे गेल!

अन्य समाचार