मुख्यपृष्ठस्तंभमैथिली व्यंग्य : उद्धारक! के? ककर??

मैथिली व्यंग्य : उद्धारक! के? ककर??

डॉ. ममता शशि झा, मुंबई

गुंजन के संगी सोना बहुत बड़का स्टार बनि गेल छलखिन। हुनकर असली नाम सुनीता छलनि मुदा स्क्रीन पर ओ नाम दमगर नहिं बुझाई छलई ताहि लेल बदलि क सोना राखल गेल छलनि। नान्हि टा से हुनका दुनुमे घनिष्ठता छलनि। अपन सक्सेस पार्टीमे गुंजन के बजोने छलखिन आ ‘तोरा लेल हम अपन डिजाइनर सँ अटायर सेहो बनबा क रखने छियऊ’ सेहो कहने छलखिन। गुंजन बुझि गेलि जे सोना के पार्टीमे नामी-गिरामी लोक सब आब बला छथिन आ सोना नहिं चाहई छथि जे हुनकर नाम हँसि होनि। गुंजन सोचि रहल छलनि जे जेहन छई ओकरा ओहिना किया ने स्वीकार कायल जाई छई।
पार्टी शुरू होअ स बहुत पहिने गुंजन सोना ओत पहुँचि गेलि। थोड़े कालक बाद देखलनि जे एक झुंड पंडित जी सब ओकर घरमे एलखिन। हुनका सबके अबिते सोना आरती के क गोड़ लागि क हुनका सबहके बहुत आदरक संगे बैसेलक। सोना माथ पर लाल ठोप केने सलवार सूट पहिरने सबहक आशिर्वाद लेलथि, हुनका सबके भोजन करेलथि, अहि सबहक विडियो बनल, सोशल मीडिया पर लाइव छल। भोजनोपरान्त सबटा मिडिया आ पीआर बला सबके सेहो जलखई कराब लेल पठेलखिन ओकर विडियो बनल, ओकर बाद सबटा वैâमरा बंद के क सोना अपन सेक्रेटरी संगे मिटिंग बला कोठरी दिस जाय लगलि, त गुंजन सेहो पाछा-पाछा चलि गेलि, हुनकर सेक्रेटरी के चेहरा सँ अप्रसन्नता छलकि रहल छलनि मुदा ओहि बात के अनठियबइत ओ भीतर चलि गेलि उत्सुकता के कारण।
हुनकर सबहक गप्प सुन लगली।
सोना चुपचाप छलि हुनकर सेक्रेटरी सबटा तय करई छलखिन। कुन दिन कुन मंदिर जेति से एंडोर्समेंट पर हस्ताक्षर करई छलखिन, कतेक पाई लेथिन आ कोन माध्यम सँ लेथिन दर्शन करबाक लेल ताहि पर मोल मोलव्वल भ रहल छलनि। हुनकर सबहक गप्प व्यापारिक रुपमे चलि रहल छलनि। कतेक के चैक आ कतैक वैâश लेथिन, हुनकर सेक्रेटरी एकदम अपन हिसाब से गप्प क रहल छलि। आखिर हुनकर अपनो कमाई के बात छलनि। गुंजन आश्चर्य भे क इ सब तमाशा देखि रहल छलि। जाहि मंदिरमे अहि बेर भीड़ जुटेबाक छई ओहि मंदिरक के हिसाब से पाई मांगि रहल छलई। बड़का मंदिर सँ जुड़ल छोट छिन मंदिरक पुजारी सब सोना के कल जोड़ि के प्रणाम करइत आग्रह करई छलखिन जे कृपा के क हमरो मंदिर सबमे अबियउ आ विडियो बनबियउ, हमरो सबहक उद्धार भ जायत!!
गुंजन सोचि रहल छलि जे मंदिर में गेला स स्टार सबहक तकदीर चमकई छई की मंदिरक!!

अन्य समाचार

मन पाखी