मुख्यपृष्ठस्तंभमैथिली व्यंग्य : केहन पर्यावरण दिवस!

मैथिली व्यंग्य : केहन पर्यावरण दिवस!

डॉ. ममता शशि झा मुंबई

लीना अपन संगी सरिता सँ कहलखिन ‘५ जून के पर्यावरण दिवस के अवसर पर अपन सोसाइटी के सब बच्चा सब के अपन हिलटॉप बला बंगला पर लक’ चल लेल कहने छियई, प्रकृति के बीच में जंगल के बीच पिकनिक मनाब के लेल। आ ओकरा सब के जंगल के महत्व सेहो बुझा देबई। वन संरक्षण के बारे में सेहो कहबई।
सरिता ‘बहुत बढ़िया बिचार अछि, चारी-टा गाड़ी में भइये जायत, सब के लेल फूडपेकेट मंगा लई छी, आ थोड़े यूज एंड थ्रो बला प्लेट ध लई छी, और पानि के एक कारटन बोतल रखबा लई छी।
लीना के सासू राधा देवी हुनकर सबहक बात सुनि क व्यंग से बजलि ‘हाँ जंगल के काटि क’ जंगल के बीच में घर बना क ‘बच्चा सब के प्रकृति के महिमा बुझाब के लेल ल’ जेबाके बहुत नीक प्रयास अछि।’
सरिता ‘त की करू काकी प्रकृति के बीच रहबाक ईहे त’ तरीका छई, और जहन ओत पाई लगा क’ बंगला खरीदा लेने छथिन ते ओकर आनंद त’ लेबाक ने चाही।’ हम सब पर्यावरण के प्रेमी लोग सब छी, हरियाली में रहनाई बहुत पसंद अछि। हमरा सबके बहूत मोन में शांति बुझाइया ओत जा के। आ दोसर गप्प जे शहर सँ दूर खेत के, नदी के आ जंगल के बीच में घर खरीदनाई स्टेसस के बात मानल जाई छई। राधा देवी ‘हाँ अपन सुकून और आनंद के लेल गाछ काटि के पंछि सबके बेघर क’ देलियई। अपन स्टेटस लेल खेत के बीच के उपजाऊ जमीन के बंजर बनेनाई नीक स्टेटस के बात‌ अछि!! अपन गामक घर-आंगन छोड़ी क’ अनेरो बन के उजाड़ में लागल छी बन उजाड़नि सब। लीना ‘ चलु – चालु सब नीचा गाड़ी में बैसल अपन सबके बाट देखि रहल अछि। इच्छा नहिं रहितो राधा देवी के हुनका सब के संगे जाय पड़लनि। रस्ता में जगह-जगह अजुका दिन सँ संबंधित होर्डिंग लागल छलई, नेता आ अभिनेता सब वृक्षा रोपन बला फोटो सब लगेने छला। पर्यावरण दिन के उपलक्ष्य में बच्चा सब के हाथ में बड़का-बड़का कार्ड बोर्ड पर पेपर के दुरुपयोग नहीं कर के लेल स्लोगन लिखल छलई। अपन गंतव्य स्थान पर पहुँच क’ सब धिया-पूता सब के जोर सँ भूख लागि गेलइ। फूडपेकट निकालि क खाय जाय गेल, पानि के प्लास्टिक के बोटल सँ पानि पीबि क’ सौंसे पसारि क छोड़ि क’ जोर-जोर सँ सिनेमा के गीत लगा क नचलक।
ओकर बाद जंगल सुरक्षा पर चर्चा कर बला बिडियो बना क’ घुर काल लीना अगिला पर्यावरण दिवस तक अपन सेकंड होम खरीद के बिचार क लेलथि, जाहि सँ अगिला बेर अपन स्टेटस देखा सकथि!!!

अन्य समाचार