मुख्यपृष्ठस्तंभमैथिली व्यंग्य : किछु गप्प ओहुना!

मैथिली व्यंग्य : किछु गप्प ओहुना!

डॉ. ममता शशि झा, मुंबई

जगन्नाथ बाबू के बेटा बिदेशी कंपनीमे नौकरी पकड़ने छलनि, नब-नब पाई घरमे आब लागल छलनि। आ बुझिते छियई, जहन पाई होई छई ते नबका-नबका संबंधो बनि जाय छई आ पुरना संबंध आ संबंधि सब अनसोहाउत लगई छई! जगन्नाथ बाबूके कमउआ बेटा आ पुतहु के ओ बिदेशी कंपनी दू साल के लेल जहन बजेलकनि एकटा प्रोजेक्ट के लेल ते जगन्नाथ बाबूके बुझेलनि जेना हुनकर बेटा पहिल नागरिक छलखिन बिदेश जाय बला। एकर डंका पिटनाई जरूरी बुझना गेलनि। आ बुझिते छियई जे सब गाममे एकटा, दूटा एहन लोक रहइते छथिन जिनकर आनंद एतुका बात-ओत करमे भेटइ छनि, आ नबका पाई बला लोक ओत उठनाई-बैसनाई बेसी भे जाय छनि, कियेक ते पाईमे ओ चुंबकीय गुण रहई छई जे एहन लोक के अपने मुने चाह आ पान आ सॉझ भरली सिंघाड़ा आलुचप आ जहन कचरी मुरही के समय रहलइ ते ओहिके माध्यम सँ ओहि दरबज्केजापर अपने खिंच के ले अनई छई! आ एहन लोक जाहि दरबज्जापर बैसई छथिन ओत अपने लोकक जुटानि होअ लगई छई, कियेक ते एहन बजक्कड़ लोक के अपन बात पर सामने बला के बिस्बास दियाब लेल थपड़ि पिट बला लोकसब बहुत जरूरी रहई छनि। ओ टोह लगोने रहई छथिन जे हुनके सनक निठल्ला गाममे के छथिन। संगे ले जाय स पहिने अहि बात के ठोकि बजाक देखि लई छथिन जे ओकरा लग बेसी बुधि नहिं होनि आ कनिको आत्मसम्मान के चोचला नहिं होनि, काजक बात बुझमे भले चौंचक नहिं रहथि मुदा हुनकर गप्प सुनबाक कालमे एकदम सजग रहथि, पूरा गप्प ठीक स सुनथि आ हँ में हँ सही समय पर मिलाबथि। ओहिके लेल ते बजक्ककड़ बाबू हुनका सबके अपना संगे रखई छथिन नहिं ते हुनका सबके के पुछतनि से बात हुनका सबहक मोनमे बैसा देने रहई छथिन। त एहने बजक्कड़ बाबू जे ‘मुखिया’ के नाम सँ प्रसिद्ध छलाह हुनकर बाट जगन्नाथ बाबू ताक लगलखिन, अबिते ‘मुखिया’ दिस देखि के बजला, ‘बड़ मुश्किल भे गेल?’
मुखिया, ‘की?’
जगन्नाथ बाबू, ‘बेटा आ पुतहू बिदेश जा रहल छथि दू बरखक लेल, सुनई छियई जे ओत सागो पाँच सौ टकामे दई छई, आ मसल्ला सब सेहो नहिं भेटई छई, समानो बेगमे जोखि के ल जेबाक ले जेबाक रहई छई, ई नहिं जे जतेक मोन भेल से बोरामे कोचि के ल लेलहुँ, आ सबस बड़का गप्प जे फोन पर गप्प कर के सेहो बड़ पाई लगई छई, आ हमर बेटा बिना हमरा पूछने एक्कहु टा काज नहि करईया, आब बुझियउ जे ओत गेला पर ई सब कोना की करत?’ मुखिया जी हुनकर बातक मर्म बुझि चाह पिब हलुआ खा क, अपन काजमे लागि गेला!!

अन्य समाचार