मुख्यपृष्ठस्तंभमैथिली व्यंग्य : ठोर पर हँसी आ कुहरति मोन!

मैथिली व्यंग्य : ठोर पर हँसी आ कुहरति मोन!

डॉ. ममता शशि झा, मुंबई

जगमोहन अपन पत्नी संगे छठि पाबनि लेल गाम जा रहल छलाह। भरदूतिया के प्रात छलनि। बहुत मुश्किल स टिकट भेटल छलनि। अहि समय में टिकट भेटनाई बड़ मुश्किल रहइ छई आ टिकट के बावजूद अहाँके अपन सीट पर दिनमे पूर्ण अधिकार नहीं रहईया आ जँ अहाँके बोगीमे क्यो छोट-छोट बच्चा बला परिवार चढ़ी गेल तो बुझियउ जे पूरा रास्ता अहाँ के बेचैनीमे काट पड़त। ओना तो किछु लोकक फोंफ काटब सँ ओहुना निंद बर्बाद भे सकइया, मुदा ओकर ई उपाय रहई छई जे ओहि पेसेंजर के हिला-डुला क कनी काल लेल शांत कराओल जा सकईया मुदा बच्चा के मामलामे मोने-मोन गुफरईत रह के अलावा कोनो दुआरा नहिं रहई छई। सबस छगुंता ते तहन लगईया जहन राति भरि अनका जगाक राख बला बच्चा आ ओकर माय भरि दिन सुतले रहईया आ ओकरा सबके किछु कह के साहस क्यो नहिं करइया कियेक त ओकरा सब अधलाह बुझतई। अधलाह भेनाआई ‍स बेसी सबके बुझना गेनाई बेसी तकलीफ दायक होय छई। और अहि तरहक अनुभव के बाद जगमोहन जी के धिया-पुता साफ मना के देलकनि गाम जेबाक लेल। जगमोहन जी के सबहक सामने बड़ बड़प्पन देखबई छलखिन जे अपन गाम घर स जुड़ल रहबाक चाही, धिया-पुता के अपन संस्कृति सँ जोड़ि के रखबाक चाही, जाहि लेल हुनकर बच्चा सब तयशायल रहई छलनि, कियेक त जगमोहन जी अपना आपके दोसरा के सामने अपन भाषा आ संस्कृति के वाहक देखाब के होड़मे बच्चा सबहक सुविधा असुविधा नहीं देखई छलखिन। आब हुनका सामने समस्या छलनि जे अपन बात राख लेल आ अपन प्रतिष्ठा के लेल दुनु बच्चा के संगे ल जेबाक छलनि। हुनकर पत्नी सुरभि कहलखिन जे तहन हवाई जहाज सँ जाय पड़त। जगमोहन जी कहलखिन जे आब त बहुत दाम भ गेल छई, ईहो सब पहिने मना केने रहति त टिकट कटेने रहितउ त कनी कम पाई लगिते। तहनो त अहाँके मोन नहिये छले! हमरा ते जहिया स दरभंगा एअर पोर्ट खुजलई तहने सँ सब संगी के सेल्फी देखि-देखि क अपनो सेल्फी पोस्ट कर के लेल मोन लागल अछि।
जगमोहन जी के सेल्फी के बोझ जेबी पर बेसी बुझना जाय छलनि आ तुक, बेतुकक लगलनि!
मुदा गामक लोकक सामने मोछ फहरेबाक छलनि आ ओहि लेल ई आर बड़का उदाहरण देब के मौका भेटतनि आ अपन बड़प्पन देखाब के आरो मौका भेटतनि जे देखियउ जे हम अपन संस्कृति के लेल बच्चा सब के एरोप्लेन सँ ले के एलियई, आ पत्नी के सेल्फी पोस्ट कर के इच्छा सेहो पूरा भ जेतनि!
मुदा जेबि ढिल होअ लेल मोन कुहरई छलनि!!
चेहरा पर हँसी आ कुहरति मोने एजेंट के टिकट कटाब फोन कर लगलथि!!!

अन्य समाचार