मुख्यपृष्ठस्तंभमैथिली व्यंग्य: योग दिवसक सदुपयोग

मैथिली व्यंग्य: योग दिवसक सदुपयोग

डॉ. ममता शशि झा / मुंबई

एकइस जूनक विशेषता सोशल मीडियाक समयमे जन-जन के बुझ आबि गेल छनि। प्रधानमंत्री जहन अहि तरहक बिचार के जन-जन तक पहुंचाब लेल लोकमे उत्साह बढ़ाब लेल अपन फोटो आ व्हिडिओ सोशल मीडिया पर प्रसारित करई छथिन ते हुनकर पार्टीक लोक आ हुनका पार्टी के मानबला लोकसब अहिमे कोना पाछू रहि सकइत छथि। सिद्धेश्वरी जी के पतिदेव सुरेश बाबू सेहो अहि पार्टी के नेता के मानबला छलखिन, अपन पत्नी द्वारा ई सूचना भेटला पर जे अहि बेरक किटी पार्टीक आयोजन हमरे करबाक अछि, आ रबिए दिन करबाक अछि। अपन पतिदेवक चेहराके प्रसन्नता देखि के ओ तमसाईत बजली, अहांके बेसी खुश हेबाक काज नहि अछि, पछिला बेर लोक के देखि के जे अहांके बड़ फुर्ती भे गेल छले, लोकक सोझामे देखाब लेल जे अहां कतेक काजुल छी, आ ओहि बहाने ओकरा सबहक बीचमे घुसियाल छलहुं, अहिबेर अहाके लेल योग सेंटरमे बुकिंग करा देने छी, ओहिठामक फोटो आ व्हिडिओ पोस्ट करब आ पार्टी के बीच अपन मान बढायब।
सुरेश बाबू आबाके हुनकर मुंहे देखईत रहि गेलखिन।
सुरेश बाबू ‘ओ सब ते ठीक अछ, मुदा अहुँ अपन किटी पार्टी के अहि बेरक थीम अहि दिनपर राखि लिय, ओहुना हर बेर थीम सोचमे माथा खराब होईया। पहिल बेर पतिदेवक बात हुनका नीक लगलनि। सोचलनि जे भने अहि थिम पर किटी पार्टी भे जायत, खान-पिन के बेसी झंझट नहि रहत, थोड़-बहुत भेरायटी के सलाद आ जूस मंगा लेब योग आ स्वास्थ्य के नाम पर निपटि जायब। ओहुना एकटा हेल्दी ड्रिंक के व्यापार कर बाली कहिया स हुनका कहई छनि जे हुनकर किटी पार्टी में आबि के लोकक सोझामे अपन प्रोडक्टक प्रचार कर चाहई छनि, जाहि लेल‌ ओ हुनका कंपनी के तरफ स किछु उपहारो देतनि, अहि दिनक आयोजनक नाम पर ओकरो बजा सकई छी, जतेक लोक एतई ओकरा सबहक लेल ओ किछु ने किछु सनेस सेहो अनतई, अहि तरहे लोकक लेल बिदा होअ कालमे देब बला सनेसक इंतजाम सेहो भे जायत आ लोक सबसं अलग आ कूल, हेल्दी, स्वास्थ्यक प्रति सजग रह बाली स्त्रीगणक छबि सेहो सोशल मीडिया पर प्रसारित भे जायत। मुदा ओ बुझई छलखिन जे हुनकर संगी सब ई बात नहिं मानतनि, ओ सब नबका कपड़ा आ गहना-गुड़िया सब खरीदने हेतई अहिमे देखाब लेल, ओकर प्रदर्शन के सुख सं क्यो अपना-आप के दूर नहिं राखि सकत। आ दोसर जे भरि मास डायटिंग करबाली संगी सबहक चीट डे किटी पार्टीये दिन रहई छनि। सोचलनि योगासन के बाद चाट पकौड़ी खेलाके बाद डिटॉक्स ड्रिंकक व्यापार करबालि स्त्रीगणक सेशन राखि देबई आखिर कहिया स ओहो ते बड़का सनेसक इंतजाम केने अछि। अहि तरहे योग दिवस के अवसर पर स्त्री सशक्तीकरण के बात जोड़ि के पार्टी के दिस सं सेहो बहुत रास सनेस सिद्धेश्वरी जी के भेटलनि!
सहिए कहल गेल छई ‘योगा से ही सब होगा!!!’

अन्य समाचार